एसपी रिपोर्टर
जनकपुरधाम, अगहन १४ : प्राचिन मिथिलाक राजधानी आ एखनुक मधेशक राजधानी सेहो रहल माताँ जानकीक जन्मभुमि जनकपुरधाम हरेक वर्ष जकाँ अहि वर्ष सेहो विवाहपञ्चमीक रौकनसँ जगमग अछि । पञ्चवर्षिय महामहोत्सव अन्र्तगत अहि वर्ष श्री राम जन्म भुमि अयोध्यासँ विशेष बरयाती आव लगलासँ सेहो जनकपुरधाममे विशेष तयारी भरहल अछि ।
प्रसिद्व जानकी मन्दिर अप्पन तयारीमे जुटल अछि त मधेश प्रदेश सरकार सेहो अपना हिसावे धमाधम तयारी करहल देखमे अवैत अछि । मधेश सरकार अप्पन मुख्यालय मधेश भवनक देवालसभ मिथिला चित्रसभसँ रंगारहल अछि जाहिमे मिथिलाक संस्कार, रामजानकीक विवाह विधी आ विभिन्न मौलिकता निखारल गेल अछि ।
अयोध्यासँ निकलल बरयातीके भारतक पटना सहित विभिन्न स्थानसभमे स्थानियसभ भब्य स्वागत सत्कार आ श्रद्धा अर्पण करहल दृश्यसभ भारतिय सञ्चार माध्यमसभ प्राथमिकताकसंग परोसिरहल अछि । आववाला अगहन २१ गते होवय लागल श्री सीताराम जीक विवाह देखवाक लेल नेपाल, भारत सहितक देशसभसँ लाखौंके संख्यामे हरेक वर्ष दर्शनालु जनकपुरधाम पधारित छन्हि। हुनका सभके जनकपुरधामवासी अप्पन बेटीक बरयातीमे आएल पाहुन जकाँ स्वागत आ सत्कार करैत छन्हि ।